दिल्ली के सड़कों पर मिथिलावद का हल्ला बोल

1
170

5 अगस्त का देश की राजधानी दिल्ली में मैथिल नौजवानों,ने मिथिलावाद का हुंकार भरा तो ये।दिल्ली के आसमान में मिथिलावाद का नारा गूंजता रहा, पीले पोशाकधारियों को देखकर दिल्ली वाले भी कौतुहल से देखते रहे। मिथिला विकास बोर्ड की मांग को लेकर बुलाया गया ये लॉन्ग मार्च सभी राजनीतिक दलों के लिए एक चेतावनी है कि अब आप लोग मिथिला को लॉलीपाप या झुनझुना थमा कर चैन से बैठ नहीं सकते क्योंकि अब मिथिला स्टूडेंट यूनियन आपको आगे भी बेचैन करता रहेगा। देखिए रिपोर्टर आशुतोष झा की पूरी रिपोर्ट…

 

1 COMMENT

  1. “मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन द्वारा ५ अगस्त, २०१८ मिथिला डेवलपमेन्ट बोर्ड केर मांग पर कयल गेल मार्च पर अपन आँखिक देखल हाल बता रहल छथि–रामबाबू सिंह ‘मधेपुर’

    आजुक भोरक प्रतीक्षा विगत एक मास सँ छल आओर ई भोर भोरहि टा नहि, लागल जेना मिथिलाक लेल एकटा नव सूर्योदय भ’ रहल अछि। जखन 11 बाजि कS 18 मिनट पर हम पहुँचलहुँ मंडी हॉउस आओर ओहिठाम नेपाल राजदूतावासक सोझा लगभग हजारो एमएसयू सेनानी उपस्थित छलाह। मिथिलावादक आंदोलन केर सँग बगलेमे फ़िल्म निर्माता विष्णु पाठक, दिल्ली विश्वविद्यालय केर प्राध्यापक राधा माधव भारद्वाज, मैथिली फिल्मकार मित्र किसलय कृष्ण, एमएसयू केर राष्ट्रीय अध्यक्ष भाइ रोशन मैथिल पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष भाइ कमलेश मिश्रा सहित हजारो के’ सँख्यामे मैथिलक उपस्थिति देखि अन्तर्मनक उत्साह बढ़ैत बढ़ैत चरम सीमाकें चूमि रहल छल।

    ई भीड़ देखिते देखिते जनक्रान्तिक रूप अख्तियार कS लेलक। कखनो बस सँ भरल सेनानी नजफगढ़ सँ आबि रहल अछि त’ कखनो फरीदाबाद सँ त’ कखनो कोनो भागसँ त’ कखनो कोनो भाग सँ, 1 बजे धरि ई क्रम लगातार चलैत रहल। मेट्रो स्टेशन सँ ल्Sक नेपाल राजदूतावास धरि त’ जेना कतार लागल होय तहिना लोक आबि रहल छल। अहि तरहक उत्साहित सपुतक भीड़ दिल्लीक इतिहासमे पहिल बेर हमरा देखबाक अवसर भेटल। मिथिलावाद आंदोलनकारी सभ मिथिला विकास बोर्ड के’ गठनकें माँग हेतु सड़क पर जोरदार प्रदर्शन कएलक। हजारोकें जनसमूह सँग अहि अनुशासित प्रदर्शन सँग दिल्लीक छाती पर मिथिला मैथिलीक नारा सँ गुंजायमान कS एकटा नव इतिहास गढ़यमे समर्थ भेल। ई आंदोलन दिल्लीक परिपेक्ष्यमे मील केर पाथर सिद्ध हएत से भरोस अछि।

    हम सभ अहि आंदोलनकें विदा करैत अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा आयोजित मधुश्रावणी महोत्सव दिस प्रस्थान कएलहुँ। ई महोत्सव सेहो मैथिलानी सभकें द्वारा अद्भुत आयोजन रहल। अहिठाम मैथिलीजिवी कल्पना झा जीक संयोजन आ सबिता झा सोनी जीक संचालनमे मृदुला प्रधान, कुमकुम झा, आराधना मिश्रा, रंजना झा, डॉ ममता ठाकुर, पूजा श्री, समता मिश्रा, स्वेता झा, जयंती कुमारी, अभिनेत्री जानवी झा, रंगकर्मी ज्योति झा, सोनी नीलू झा आदि इत्यादि मैथिलानीक सभक सँग मधुश्रावणी महोत्सवक अद्भुत आयोजन देखल गेल।

    अहि दुनु कार्यक्रममे “मैथिली साहित्य सम्मेलन” केर अध्यक्ष संजीव सिन्हा जीक सानिध्य, हेलो मिथिला डॉट कॉम केर संपादक हितेंद्र गुप्ता जी, पत्रकार रौशन झा जी, संजय झा नागदह, “मिथिला साक्षरता अभियान” केर दिल्लीक कोर सदस्य, मानवशास्त्री अग्रज कैलाश कुमार मिश्रा जी, निर्देशक आ संचालक किसलय कृष्ण संगहि श्याम, मोहन, आनन्द मोहन, ओम, त्रिपुरारी, विनीत उप्पल, ऋषि मलंगिया संगहि अनेकानेक लोकक सान्निध्य भेटैत ई लागल जे दिल्लीमे ऊर्जाक भंडार अछि। आवश्यकता केवल अहि गप्पक अछि जे मिथिलाक सभ जिलाक लोक एकमंच पर आबय जकरा आइ एमएसयू अपन अहि लॉन्ग मार्च आंदोलनमे सिद्ध कएलक, जे लगभग 15 गोट जिलाक प्रतिनिधि ओहिठाम उपस्थित छलाह।

    निंदक आओर आलोचक सभसँ आग्रह जे ओ अपन मसखरीमे आओर तेजी आनथि जाहिसँ ओ सभ आगामी प्रस्तावित महारैली दरिभंगाक राज मैदान खचाखच भरि सकैए। हम रामबाबू सिंह एमएसयू द्वारा गढ़ल गेल आजुक एतिहासिक रिपोर्ट सँग आई बस एतबे। चिर प्रतीक्षित आंदोलनकें परिणामोमुखी समापन हेतु समस्त मिथिला मैथिली दीस सँ एमएसयू केर अशेष शुभकामना आ बधाई संगहि सँग निंदक आ आलोचक लोकनिकेँ बच्चा सभकेँ ऊर्जान्वित करबा लेल आत्मीय आभार।”

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here